मधूबनी[आलोक] मधूबनी जिलाक झंझारपुर अनुमंडलक लखनौर प्रखंड केँ देवही टोल (दीप)गांव में डॉक्टर "सुरविन्द कुमार झा"जेँ हृदय रोग विशेषज्ञ छैथ। हुनकेँ द्वारा निःशुल्क चिकित्सा शिविर केर आयोजन कायल गेल छल।जेहिमें महिला सभहक लेल निःशुल्क हिमोग्लोबिन जाँच,बृद्ध महिला आओर पुरुषक लेल निःशुल्क डायबिटीज जाँच
आर भी बहुत प्रकार केँ सामान्य रोगी सभकेँ चिकित्साक - सलाहक संग दवाई वितरण कायल गेल।हृदयाघात रोगी, मानसिक रोगी आर निःशंतान दम्पति सभकेँ सेहो उचित सलाह देल गेल। डाक्टर केर व्यवहार आर काम-काजक कुशलता सँ सभ रोगी बहुत संतुष्ट आर प्रभावित भेलैथ। एही डाक्टर केँ झंझारपुर मे कोर्ट चौक पर पल्स हेल्थ केयर हास्पिटल चलैत अछि। हिनक पत्नी डॉक्टर सुधा झा सभ स्त्री रोग विशेषज्ञ छैथ।एही शिविर केँ आयोजन समाजसेवी विवेक चन्द्र मिश्र, आलोक चन्द्र मिश्र, निखिल चन्द्र मौसम ,मनोज जी,जय प्रकाश ,सतिश आर सब ग्रामीणक सहयोग पर कायल गेल छल।
#निःशुल्क चिकित्सा शिविर #मधुबनी #मैथिली समाचार
0 Comments