Random Posts

header ads

BJP केँ सांसद भोला सिंह केर मृत्यु, दिल्ली केर RML अस्पताल में लेलैथ अंतिम सांस।



बेगुसराय: बेगूसराय केर भाजपा सांसद भोला प्रसाद सिंहक निधन भs गेल अछि। दिल्ली केर राम मनोहर लोहिया अस्पताल में भोला सिंह अप्पन अंतिम सांस लेलैथ। लगभग 83 बरखक उम्र में हुनक निधन भेल अछि।भोला सिंह लम्बा समय सs बीमार चैल रहल छलैथ। हुनक निधन सs हुनका चाहैए बला में शोक केँ लहैर दौड़ गेल अछि। श्री सिंह केँ राजनीतिक करियर बहुत लंबा रहल अछि। 1967 में भोला सिंह पहिल बेर बेगूसराय सीट सs विधायक चुनल गेल छलैथ। एही जगह सs ओ 6 बेर विधायक रहल छैथ । 2009 में नवादा लोकसभा सीट सs भाजपा केर सांसद बनलैथ आर 2014 में बेगूसराय सीट पर o जीत दर्ज केने छलैथ
#निधन #सांसद #बेगूसराय #मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments