पंजाब: पंजाबक अमृतसर में काइल दशहरा देख रहल लगभग 50 सs बेसी लोग केँ रेलगाड़ी केर चपेट में आबैए सs मौत होबाक आशंका अछि । प्राप्त जानकारी केँ अनुसार अमृतसर में धोवी घाटक नजदीक जोड़ा फाटक केर पास लोग सभ रेलवे लाईन पर खड़ा भs कs रावण दहन देख रहल छलैथ।एही दौरान अमृतसर सs दिल्ली केँ लेल रवाना भेल हावड़ा आर जालंधर सs अमृतसर केँ तरफ आइब रहल डीएमयू रेलगाड़ी आइब गेल। बताओल जा रहल अछि कि रावण दहन केँ दौरान चैल रहल पटाखा केँ आवाजक कारण लोग सभकेँ रेलगाड़ी केँ सीटी नञि सुनाई परल,जाहिके कारण लगभग 50 लोग सs बेसी लोग कैट गेल। बहुत लोग घायल भs गलैथ । रेल मंत्री पीयूष गोयल कहलैथ कि रेलवे तत्काल राहत आर बचाव अभियान चला रहल अछि।मुख्यमंत्री अमरिंदर सिंह अप्पन संदेश में एही दुर्घटनाक प्रति बहुत दुख व्यक्त करैत कहला जे पीड़ता परिवार केँ पांच-पांच लाख रुपया केँ सहायता आर घायल सभकेँ मुफ्त इलाज करबैल जैत। एही बीच शिरोमणि अकाली दल केँ जिला अमृतसर प्रधान गुरप्रताप सिंह टिक्का पंजाबक पूर्व मुख्य मंत्री सुखवीर सिंह बादल केँ तरफ सs घोषणा कायल गेल अछि कि घायल सभहक इलाज शिरोमणि गुरूद्वारा प्रबंधक समिति केर अस्पताल में मुफ्त इलाज कायल जैत।
निच्चा में अमृतसर रेल हादसा के लेल हेल्पलाइन नो० में सेहो देल गेल आई । किनको कोनो तरहक जानकारी लेवाक हेत त निम्न नो० पर सम्पर्क क सकै छि ।
संघ कार्यालय- 01832227356,
संघ कार्यालय-01832229585
कंवल कपूर-9216972700
रघु जी-9464118436
अश्वनी जी-9872029987
#ट्रैन हादसा # अमृतसर # मैथिली समाचार
0 Comments