सुरत: गुजरात में एगो तीन बरखक बच्चीयाक संग दुष्कर्म आर ओहिके बाद हत्या करैए केर आरोपी केँ गुजरात पुलिस बिहार पुलिसक मदद सs बक्सर केर इटाढ़ी थाना क्षेत्रक लोधास गांव सs काइल राइत गिरफ्तार कs लेल गेल अछि। बक्सरक अनुमंडल पुलिस अधिकारी सतीश कुमार शनिदिन एहिके पुष्टि करैत बतेलैथ कि सूरत केर लिंबायत पुलिस बक्सर पुलिसक सहयोग सs अनिल यादव केँ हुनके गांव सs गिरफ्तार कs लेलक आई । अनिल सs गुजरात पुलिस पूछताछ कs रहल आई ।
गुजरात पुलिसक अनुसार, गिरफ्तार आरोपी अनिल पर लिंबायत केँ गोड़ादरा इलाका में एगो तीन बरखक बच्चीयाक संग दुष्कर्म कs हत्या करबाक आरोप अछि। बताओल जाइत अछि कि अनिल ओतैए किराया केर मकान में रहैत छल,आर घटनाक बाद सs फरार भ गेल छल।
#गिरफ्तार #दुष्कर्म आरोपी # सूरत घटना # मैथिली समाचार
0 Comments