Random Posts

header ads

आवास दिएबाक नाम पर ठगी करबाक लेल पहुंचल दुटा युवक केँ कारिख पोइत कs जैम कs कैल गेल कुटाइ।



दरभंगा।[प्रणव चौधरी] बहेड़ा थाना क्षेत्रक हाबीभौआर पंचायतक नरही टोला पर मंगल दिनक शाझ में सरकारी कर्मी बैन प्रधानमंत्री आवास योजनाक तहत मकान दिएबाक नाम पर लोग सभ सs ठगी करैए बला दुटा युवक केँ ग्रामीण सभ पकैड़ लेलक। आओर गाछ सs बाइन कs चेहरा पर कालिख पोइत देलक आर नीक सs कुटाइ कs देलक । एहिके बाद दुनु केँ पुलिस केँ हवाले कs देल गेल। पुलिस दुनु युवक केर इलाज करेलाक बाद पूछताछ में जुटल अछि । हुनक बाइक जब्त कs लेल गेल अछि। प्राप्त जानकारी केर अनुसार, बहेड़ी थाना क्षेत्रक मोटगाह गांवक बैजूलाल देव एवं नडेगा केर सचिनलाल देव एगो बाइक सs नरही टोला केर छोटे कमती केर घर पर पहुंचल। खुद केँ सरकारी कर्मी बता कs प्रधानमंत्री आवास योजनाक तहत आवास दिएबाक नाम पर 60 हजार रुपये केर मांग केलक। छोटे केर पत्नी अरहुलदाय देवी केँ आवासक लेल फोटो खींचेबाक लेल कहलक। ओ फोट़ो खींचेबाक आर रुपया देबाक लेल तैयार भँ गेली। दुनु युवक कहलैथ कि घरक दरवाजा पर तकिया केर नीचा में रुपये रैख दियौ। अरहुलदाय तकिया केर नीचा 60 हजार टका रैख देलक। एक युवक केँ आंगनक एगो कमरा में अरहुलदाय देवी केँ बंद कँ फोटो खींचैए लागल आओर दोसर युवक तकिया केर नीचा सs टका लs  लेलक आर जल्दी करू कहैए लागल। दुनु युवक केर हाव भाव केँ देखक घरक आओर महिला सभके संदेह भेल। ओ टका वापस करबाक मांग करैए लगली। एही पर दुनु युवक ओहिजगह सs बाइक सs  भागबाक प्रयास करैए लगला।उक्त महिला दुनु केँ घेर लेलक।महिला सभहक शोरगुल सुइनक टोला केर लोग सभ सेहो पहुंच गेल। सब मिलक   दुनु केँ ऐगो पेड़ सs बांइध देलक। मुंह पर कालिख पोइतलाक बाद नीक सs कूटाई कs देल गेल। ग्रामीण सभ ऐहिके सूचना बहेड़ा थाना पुलिस केँ देलक। बहेड़ा दारोगा मनु राजवंशी केर नेतृत्व में पुलिस घटनास्थल पर पहुंचक दुनु युवक केर गिरफ्तार कs लेलक। आओर बहेड़ा राजकीय अस्पताल में इलाज करबेलक।एही बीच अधुलुआम गांवक बालचन्द कमती एवं शनिचर कमती थाना पहुंचक दुनु युवक केर पहचान केलैथ। पुलिसक कहब अनुसार तीन दिन पहिले हुनक घर पर सेहो जा क प्रधानमंत्री आवास योजनाक तहत मकान दिएबाक नाम पर फोट़ो खींचलक आर तीन हजार टका लेने छल। पुलिस नरही टोला केर छोटे कमती केँ पत्नी सs लेल गेल टका केँ वापस करा देलैथ । दारोगा राजवंशी कहलैथ जेँ  दुनु युवक सs पूछताछ कैल जा रहल अछि । पूछताछक बाद क्षेत्र में प्रधानमंत्री आवास सहित विभिन्न गरीब हितैषी योजना सभहक लाभ दिऐबाक नाम पर सरकारी कर्मी बैनक ठगी करैए वला गिरोहक  पर्दाफाश कैल जा सकैत अछि।
#ठगी #प्रधानमंत्री आवास योजना #दरभंगा #मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments