दरभंगा।[प्रणव चौधरी]दरभंगा जिलाक बहादुरपुर थाना क्षेत्रक अहिला गांव सs ऐगो महिला अपन बच्चाक संग नैहर केर लेल निकलली, आओर महिला रास्ता सsही गायब भ गेल।। तीन दिनक बादो कोनो ठिकाना नञि भेटला सs हुनक पति केँ अनहोनी केर आशंका होबैए लागल अछि। एही मामला केँ ल क राजू पासवान अपन थाना में प्राथमिकी दर्ज करबेलैथ । आर हुनक पति कहलैथ कि हमर पत्नी अपन संग 5 बरखक बेटा व तीन बरखक बेटि केँ लक रजामंदी केर साथ अपन नैहर विरनियां केर लेल निकलल छली। मुदा,उक्त महिला अपन बच्चाक संग अपन नैहर नञि पहुंचपेली।एहिके बाद दुनु परिवारक लोग सब बहुत खोजबीन केलैथ।मुदा, कतौउ पता नञि चलल अछि। ई बताओल गेल अछि कि हुनक पास एगो मोबाइल सेहो अछि। जेँ कनिक समयक लेल ऑन होइत अछि आओर फेर ऑफ भँ जाइत अछि। बात नञि होबाक कारण पता नञि चैल पाइब रहल अछि कि उक्त महिला कतैए आओर कोन स्थिति में अछि।
#महिला लापता # नैहर स सासुर के बीच # दरभंगा # मैथिली समाचार
0 Comments