सहरसा: सहरसा-मानसी रेलखंड पर रविदिन केँ अधरतिया में सहरसा सs पाटलिपुत्र जा रहल जनहित एक्सप्रेस केँ इंजन पर बिजली तार टूटिइक गिरला सs लगभग साढ़े चाइर घंटा तक ट्रेन सबहक परिचालन बाधित रहल। राइतक करीब 11.32 बजे यह हादसा भेल।
बिजलीक तार खसै सs चालक ट्रेन रोइक देलक। धमारा घाट-बदला घाटक बीच 9/14 सs 8/21 किमी केर बीच ब्रिज नंबर-21 सs गुजैर रहल ट्रेनक रुकिते सुतल यात्री सब जाएग गेल। जानकारी भेटला पर राइत 1.30 बजे खगड़िया सs टी.आर.डी (विद्युत) केर सीनियर डी.ई.ई आशुतोष झा, जे.ई इंचार्ज एमके सिन्हा आओर सुनील कुमार टावर वैगन मंगबेलक। पेंटक टूटबाक कारण गिरल बिजली तार केँ जोड़बाक काज शुरू काईल गेल अछि।
सहरसा सs राइत केँ डेढ़ बजे डीजल इंजन मंगवैल गेल आओर जनहित एक्सप्रेस केँ सोमदिन केँ भोर में 4.10 बजे मानसी केर लेल रवाना कैल गेल। ट्रेन खुललाक बाद यात्री सब चैनक सांस लेलक। हालांकि, एहीके असर दोसर दिन सोम दिनक ट्रेन केर परिचालन पर सेहो पड़ल। जयनगर सs जानकी एक्सप्रेस ढाई घंटा, अमृतसर सs गरीब रथ एक्सप्रेस 3.10 घंटा, सियालदह सs हाटे बाजारे दु-घंटा लेट पहुंचल। सहरसा सs गरीब रथ 1:55 मिनट, हाटे बाजरे 50 मिनट, राजेन्द्र नगरक लेल इंटरसिटी दु-घंटा सहित सवारी गाड़ी सब सेहो लेट खुलल।
#टूटल #बिजली तार #सहरसा #मैथिली समाचार
0 Comments