Random Posts

header ads

प्रशासन केँ आइख मे गरदा झोइक, अस्पताल में इलाज करा रहल कैदी भेल फरार।



भागलपुर। मोजाहिदपुर पुलिसक द्वारा रविदिन भोरे चोरी केर आरोप में आनंद कुमार चौबे नामक आदमी केँ गिरफ्तार केने छल। लोग सब आनंद केँ कुटाई नीक सs केने छल। इलाजक लेल हुनका मेडिकल कॉलेज अस्पताल में भर्ती कयाओल गेल छल।
सोमदिन दुपहर शौच जेबाक बहाना बना कs आनंद हथकड़ी केर रस्सी काइटक बाथरूमक वेंटीलेशन केर रास्ता सs भाइग गेल। आधा घंटा तक पुलिस बाथरूम केर बाहर खड़ा रहल मुदा अंदर सs कोनो आवाज नञि आबैए पर बाथरूमक दरवाजा केँ धक्का द कs खोल्लक तsबाथरूम मे कियौ नञि छल।
#कैदी फरार #भागलपुर #मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments