Random Posts

header ads

बिहारक पूर्व समाज कल्याण मंत्री मंजू वर्माक अग्रिम जमानत याचिका खारिज केलक हाइकोर्ट।



मूजफ्फरपुर: मुजफ्फरपुर बालिका गृह कांडक बाद त्यागपत्र देबैए बाली बिहार केर पूर्व समाज कल्याण मंत्री मंजू वर्माक आमर्स एक्ट में अग्रिम जमानत याचिका पटना हाईकोर्ट खारिज कs देलक । बेगूसराय स्थित हुनक आवास सs किछु सप्ताह पहिले 50 कारतूस बरामद कायल गेल छल।ऐही मामला में हुनक पति चंद्रशेखर वर्मा केँ सेहो नामजद कायल गेल छल।
मतलब अछि कि मुजफ्फरपुर बालिका गृहकांड में सीबीआई पूर्व मंत्री केर बेगूसराय जिलाक चेरियाबरियापुर स्थित पुश्तैनी घर पर छापा मारलक तs औतैए सs कतेको प्रतिबंधित गोली बरामद भेल छल। एहिके बाद सीबीआई  स्थानीय पुलिस केँ एही मामलाक जांच करबाक लेल भेज देलक। ओहि जगहक स्थानीय पुलिस चेरियाबरियारपुर में थाना कांड संख्या 143 /18  गत 17 अगस्त केँ केस दर्ज केने छल।एही मामले में पूर्व मंत्री हाईकोर्ट में अग्रिम जमानत अर्जी दायर केने छली।सुप्रीम कोर्ट अखन पूछताछ करबाक दलैथ।मुजफ्फरपुर बालिका गृह कांडक सुनवाई केर दौरान सुप्रीम कोर्ट गुरु दिन पूर्व मंत्री मंजू वर्माक ससुराल में मिलल गोली केँ लक पुलिस केँ कार्रवाई करबाक लेल कहल गेल अछि। सुप्रीम कोर्ट अपन आदेश में कहलैथ कि पूर्व मंत्री मंजू वर्मा आओर हुनक पति सs पूछताछ कायल  जेत।
#जमानत खारिज # मंजू वर्मा # मुज़फ्फरपुर # मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments