अररिया: अररिया जिलाक नरपतगंज सs भाजपाक पूर्व विधायक देवयंती यादव केर कोसी कॉलोनी स्थित घर सs पुलिस केँ 15 गो बोतल विदेशी शराब बरामद केलक । नरपतगंज पुलिस ई कार्रवाई पटना उत्पाद विभाग सs भेटल सूचनाक आधार पर केलक। अखन प्राथमिकी दर्ज कs आगाक कार्रवाई शुरू कs देल गेल अछि।
प्राप्त जानकारी केर अनुसार भाजपाक पूर्व विधायक देवयंती यादव नरपतगंज केर कोसी कॉलोनी स्थित सरकारी क्वार्टर में अपन स्थायी निवास बना रखने अछि। आर अखन फिलहाल ओ जोगबनी में रहैत छैथ।एही आवास पर हुनक बराबर ऐनाई गेनाई लागल रहैत छल। हुनक गैरमौजूदगी में सेहो किछु कार्यकर्ता आवास में नियमित रूप सs रहैत छैन हालांकि छापामारी समय आवास में एगो छोटा बच्चा रुमक सफाई कs रहल छल।
पुलिस बैड रूम,किचन आओर जगह सब पर सघन सर्च अभियान चलेलैथ। सर्च अभियानक दौरान 11 बंगाल निर्मित पाउच, एगो रोयल स्टेगक फुल, तीन गो सील खुलल 180 एम.एल केर बोतल और आर.एस केर फुल बोतल में 100 एम.एल शराबक बरामद काईल गेल अछि। छापामारी सs आसपासक लोग सब में हड़कंप मैच गेल अछि। पुलिस सिंचाई विभागक अधिकारी कs सेहो एही मौका पर बजेलैथ। नरपतगंज थानाध्यक्ष सुनील कुमार शराब भेटबाक पुष्टि केलैथ ।
नरपतगंजक कोसी कॉलोनी स्थित सरकारी क्वार्टर में शराब बरामादगीक मामला में पूर्व विधायक देवयंती यादव कहलैथ कि हम जखन विधायक छेलू तs हम एत स्थायी रूप सs रहैए छलौ।अखन फिलहाल ओहि आवास सs हमर कोनो लेना-देना नञि अछि। अखन हम स्थायी रूप सs अपन निजी निवास जोगबनी में रहैत छी। कहलैथ जे की सोचल समझल साजिसक तहत हमर छवि केँ धूमिल करबाक लेल आवास सs शराब भेटबाक साजिश बतेलैथ।
#शराब -बरामद # बीजेपी कार्यकर्ता # अररिया #मैथिली समाचार
0 Comments