Random Posts

header ads

भागलपुर में देह व्यापारक अड्डा पर परल पुलिसक रेड।



भागलपूर: भागलपूर जिलाक ईशीपुर बाराहाट थाना क्षेत्रक बेलतिकरी गांव में लंबा समय सs चैल रहल देह व्यापारक अड्डा पर छापेमारी केलक। एही दौरान छ गो महिला आओर नौ गो पुरुष केर गिरफ्तार कायल गेल।
पुलिस ईशीपुर बाराहाट थाना क्षेत्रक बेलतिकरी गांव में लंबा समय सs चैल रहल देह व्यापारक अड्डा पर छापामारी केलक।एही दौरान छ गो महिला आओर नौ टा पुरुष केँ गिरफ्तार कैल गेल अछि।
रविवारक छापामारी में तीन टा देसी कट्टा, 17 गो गोली, चाइर गो खोखा, एगो देशी कट्टा , बहुत रास कंडोम, मोदक, यौन शक्तिवर्द्धक दबाई, 50 गो सs ज्यादा अश्लील सीडी, चिलम आदि समान बरामद काईल गेल अछि।ई छापेमारी एस.डी.पी.ओ दिलनवाज अहमदक नेतृत्व में काईल गेल छल।
#छापेमारी #देह -व्यापार  #भागलपुर # मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments