दरभंगा:[प्रणव चौधरी] बहेड़ी प्रखंडक दर्जन भैर गांवक पाइनक अकाल सs जूइझ रहल हजारो जनता ‘पैन रे मोर कतैए गेलाह केर भाव केर चरितार्थ करैत सरकारक तरफ टकटकी लगेने अछि। मौखिक आओर लिखित में आला अधिकारी केँ एहिके सूचना देल गेल अछि। प्रखंडक लोग सब पाइन लेल त्राहिमाम कs रहल अछि। एही साल नीक सs बारिश नञि होबाक कारण एक सौ सs ज्यादा चापाकलक पाइन पूर्णत सs सूइख गेल अछि। आर एक सौ सs ज्यादा सूखबाक कगार पर अछि। हावीडीह मध्यक मुखिया पति कन्हैया यादव अपन खर्चे सs जेनरेटर चलाकs गांवक लोग सब केँ पाइन उपलब्ध करेबाक काज कs रहल छैथ।
गांव में पहुंचला पर दर्जन भैर आदमी खींचातानी करैए लागैत अछि जे कि पहिले हमर चापाकल देखू तँ पहिले हमर। हुनका सब केँ लागैत अछि कि पत्रकार केँ जांच केलाक बाद शायद हमर सबहक चापाकल केँ उखार-गार करबा कs ठीक कs देल जायत। अटहर उत्तरी पंचायतक मुखिया पति मोहम्मद शिवली कहैत अछि कि मोबाइल पर बी.डी. ओ केँ एहिकी सूचना सेहो देल गेल छल। कतेको दिन बीत गेलाक बादो प्रशासनक द्वारा कोनो सुधि नञि लेल गेल अछि । हावीडीह, कमलपुर, हनुमान नगर, केरवाकोठ, अटहर डीह व गोठ, बिजुलिया, शेर, समदपुरा, बघौल, बघौनी, बहेड़ी आदि दर्जन भैर गांवक सौ सँ ज्यादा चापाकल केँ पैन सूइख चुकल अछि । प्रखंडक सात निश्चय योजनाक तहत चलैए बला नल जल योजनाक स्थिति सेहो बहुत मंद अछि। कतेको योजना पूर्ण होबाक बादो बिजली कनेक्शनक अभाव में चालू नञि कैल गेल अछि। एही संबंध में पूछबाक लेल पी.एच.ई.डी केर एस.डी.ओ रत्नेश सिंह आओर एग्जीक्यूटिव इंजीनियर बाबू लाल महतो केर मोबाइल पर लगातार दु दिन सs फोन काईल जा रहल अछि,मुदा दुनु गोटाक मोबाइल फोन व्यस्त बता रहल अछि।
#अकाल #पाइनक #बहेड़ी #मैथिली समाचार
0 Comments