Random Posts

header ads

बेनीपुर उपकारावास सs कतेको आपत्तिजनक सामान भेल बरामद।



दरभंगा: दुगो अनुमंडलक उपकारावास बेनीपुर में रविवार भोर में नौ बजे एस.डी.ओ प्रदीप कुमार झा आओर एस.डी.पी.ओ उमेश्वर चौधरीक नेतृत्व में छापामारी काईल गेल छल। एही छापामारी में कतेको आपत्तिजनक सामान बरामद भेल अछि। सूत्रक मुताबिक भोर में नौ बजे सs11 बजे तक कैदी सबहक सात वार्ड में छापामारी कs चाइर गो डिब्बा ताश, 10 गो सलाई, खैनी, गुटखा, बीड़ी आओर 325 रुपया नगद बरामद काईल गेल। एही छापेमारी सs कैदी सब में हड़कंप मैच गेल छल। एही छापामारी में प्रभारी जेल अधीक्षक पंकज कुमार झा, बी.डी.ओ जगतनारायण मिश्र, सहायक अधीक्षक मिथिलेश शर्मा, बहेड़ा, अलीनगर आओर नेहरा थानाक एस.एच.ओ शशिकांत सिन्हा, रामनारायण पासवान, मनोज कुमार शर्मा के साथ पुलिस बल शामिल छलैथ।
#छापामारी #बेनीपुर उपकारावास #मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments