Random Posts

header ads

सुशासन बाबु केँ राज में छात्रा सब नञि छैथ सुरक्षित।



सुपौल: बिहार मे लरकी सब नञि अछि सुरक्षित।ऐहने सन एकटा सनसनी करैए बला खबैर सोझा आयल अछि।जे सुपौल जिला में छींटाकशी आओर अभद्रता केँ विरोध करैए पर सुपौल जिलाक त्रिवेणीगंज स्थित कस्तूरबा गांधी बालिका आवासीय स्कूलक मैदान में शनि दिन कँ साँझ में खेल रहल छात्रा सबपर लड़का सब अपन अभिभावक केँ साथ आइब कs छात्रा सबपर हमला कs देलैथ। लाठी-डंडा सs महिला-पुरुष हमलावर , सब छात्रा सब केँ दौड़ा-दौड़ा कsपीटलक।
छात्रा सब के बचेएबाक लेल आएल  वार्डन आओर शिक्षिका केँ सेहो नञि बक्सलक ।  लड़की आओर शिक्षिका सब जेना-तेना ग्रिलक अंदर गेली तखन जा कs हुनक सबहक जान बचल। एही हमला में तीन गो महिला सहित तीन दर्जन सs बेसी छात्रा घायल भेल अछि। दु दर्जन घायल छात्रा केँ त्रिवेणीगंजक अनुमंडलीय अस्पताल में भर्ती कराओल गेल अछि। सूचना भेटला पर एसडीएम विनय सिंह, एलआरडीसी रोजी कुमारी, बीडीओ ममता कुमारी आओर पुलिस स्कूल पहुंचली आर 34 गो लड़की केँ अस्पताल भेजबेलैथ। डॉक्टरक अनुसार कोनो भी घायल केँ गंभीर चोट नञि लागल अछि।डीएम वैद्यनाथ यादव कहलैथ कि छींटाकशी केर विरोध करैए पर लड़की सब पर किछु लड़क केर धुनाई कs देल गेल। ऐहिके विरोध में लड़का केर अभिभावक सब लड़की सब पर हमला कs देलैक । सीसीटीवी फुटेज आओर अन्य साक्ष्य आधार पर डीईओ केँ हमलावर सबहक चिह्नित केलाक बाद हुनका सब पर केस दर्ज करबाक लेल कहल गेल अछि।
#हमला #छात्रा #सुपौल #मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments