दरभंगा।[प्रणव चौधरी] कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय में 20 नवंबर केँ प्रस्तावित दीक्षांत समारोह केँ तैयारी शुरू भs गेल अछि। एहिमें कुलाधिपति अपन एबाक स्वीकृति देलैथ । कुलपति प्रो. सर्वनारायण झा एवं प्रतिकुलपति प्रो. चंद्रेश्वर प्रसाद ¨सह सहित अन्य पदाधिकारी केँ टीम गुरु दिन के आयोजन स्थल केर निरीक्षण कs पंडाल सबहक निर्माणक लेल इंजीनियर सs मापी करबेलैथ आओर आवश्यक निर्देश सेहो देलैथ। मुख्यालयक बहुउद्देशीय भवनक सामने ऐगो पैघ पंडाल बनाक कार्यक्रम करबाक निर्णय लेलैथ। पीआरओ निशिकांत कहलैथ कि ऐहिके बाद कुलपति कार्यालय में आयोजन केँ लकs गठित विभिन्न समिती केँ सेहो बैठक कैल गेल। एही दौरान भोजन, साफ सफाई, अतिथी सभके ठहराव, पंडाल निर्माणक व्यवस्था पर व्यापक चर्चा कैल गेल। बताओल गेल कि वर्ष 2016 सs लकs अद्यतन आचार्य, पीएचडी यानी विद्या वारिधि आओर डीलिट यानी विद्या वाचस्पति केर प्रमाण पत्र दीक्षांत समारोहक दौरान कुलाधिपति केँ हाथ सs दैल जैत। संबंधित छात्र सs कहल गेल अछि कि 29 अक्टूबर तक कुलसचिव केर नाम सs 500 रुपया केँ बैंक ड्राफ्ट या फेर एतबे राशि केँ बैंक चालान जमा करा दैथ। तिथि बीतलाक बाद शुल्क नञि लेल जैत।
एही मौका पर डीन प्रो. शिवाकांत झा, सीसीडीसी प्रो. श्रीपति त्रिपाठी, कॉलेज निरीक्षक डॉ. दिनेश्वर यादव, डॉ. दिलीप कुमार झा, डॉ पवन कुमार झा, डॉ. घनश्याम मिश्र, डॉ. अवधेश कुमार चौधरी, डॉ. सत्यवान कुमार सहित बहुत रास कर्मी उपस्थित छलैथ।
#दीक्षांत समारोह #दरभंगा # मैथिली समाचार
0 Comments