Random Posts

header ads

CYS केर कार्यकर्ता सभ RK कालेज में चैल रहल धांधली केर खिलाफ केलक प्रधानाचार्य केर पुतला दहन।



मधुबनी: [फहिम बकर मुसा] मधुबनी जिलाक छात्र युवा शक्ति (CYS) केर कार्यकर्ता सभ रामकृष्ण महाविद्यालय केर प्रधानाचार्य शंभू यादव केर पुतला काइल तारिख 18-01-2019 के दुपहर 2 बजे RK कॉलेजक गेट पर दहन केलक । मामला ई छल जे  महाविद्यालय में स्नातक पार्ट - 2 में नामांकन केर आवेदनक प्रक्रिया चैल रहल छल |एहिके दौरान पाओल गेल कि असली आवेदन पत्र केर जगह एगो आओर नकली आवेदन पत्र बेचल जा रहल छल,जेहिके सूचना भेटलाक बाद महाविद्यालय प्रशासन उक्त दोषी केर रंगल हाथ पकरलक, मुदा हुनका द्वारा कोनो भी कानूनी कारवाई नञि काईल गेल, जाहिमें महाविद्यालय प्रशासनक सेहो कतौउ नई कतौउ एही में मिलल नज़ैर आइब रहल अछि| छात्र युवा शक्ति (CYS) के कार्यकर्ता केर कहब अछि , जे  अगर एहिमें महाविद्यालय प्रशासनक मिलल नञि छल त  उक्त दोषी पर कानुनी कारवाई कियैक नञि काईल गेल। संगैह एही छात्र सभहक मांग छल जे  एहिके जांच करेबाक लेल विश्वविद्यालय एकटा टीम के गठन करैए आओर दोषी पर उचित कानूनी कार्यवाही काईल जाए |  जौ दोषी पर प्राथमिकता दर्ज नञि कैल गेल तs छात्र युवा शक्ति केर द्वारा आगा सेहो विशाल आंदोलन काईल जेत। एहि पुतला दहन में छात्र युवा शक्ति केर फहीम बकर मूसा, राशिद अंसारी, राहुल राज, अभिजीत सिंह, सक्सेना सिंह, प्रिंस यादव, मोज़ज़मिल अंसारी, बरकत अंसारी, अविनाश झा, रामजी यादव, आलोक राज, तूल्लाह खाँ आओर सैकड़ों कार्यकर्ता मौजूद छलैथ |
#पुतला दहन #प्रधानाचार्य # RK कॉलेज #मधुबनी #मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments