महाराष्ट्र, कल्याण : एखन दुर्गा पूजाक आयोजनमे चहुंदिश आस्था केर भारी जुटान देखल जा रहल अछि। मिथिला सहित देशक अन्य-अन्य भागमे सेहो लोकसभ खूब धूमधाम सँ माँ दुर्गाक आराधनामे सराबोर छथि। अहिक्रममे महाराष्ट्रके उपनगर कल्याण केँ एकटा गाम म्हारलपाडा सँ आह्लादित करै बला समाद भेटल अछि। जनतब करा दी जे 'विद्यापति दुर्गापूजा चैरिटेबल ट्रस्ट'क तत्वाधानमे भव्य दुर्गा पूजा संगहि सूर्य नारायण महायज्ञक आयोजन भव्यताक एकटा अद्भुत मिशाल कायम कयलक अछि।
संस्थाक कार्यकारी सदस्य श्री श्रवण झा द्वारा जनतब कराओल गेल जे आगामी १७ तारीख केँ मैथिली नाटक 'उगना' एवं १८ तारीख केँ हिंदी नाटक 'महिषासुर' केर भव्य मंचन होयत। अहिमादे अध्यक्ष श्री दिलीप मिश्रा समस्त महाराष्ट्र मैथिल समाज संगहि स्थानीय रहिवासी लोकनि सँ सभजाना हकार प्रेषित कय माँ दुर्गाक पावन पूजनोत्सव एवं सूर्य नारायण महायज्ञमे उपस्थित होबाक विनम्र आह्वान कयलनि अछि।
अहि पूजाक आयोजनमे अध्यक्ष श्री दिलीप मिश्रा संगहि पूजा कार्यकारी अध्यक्ष अशोक झा (बच्चाबाबू), सचिव जॉनी झा, कोषाध्यक्ष रंजीत ठाकुर, सहयोगी कोषाध्यक्ष प्रकाश ठाकुर, सदस्य आलोक झा, मिथिलेश झा, श्रवण झा, श्रिष्टिनारायण झा, नरेंद्र झा, अनिल झा, प्रकाश ठाकुर, उदय झा, विनोद झा, दीपक मिश्रा, कृष्णा मिश्रा संगहि स्थानीय मैथिल जनमानस लोकनि जीजान सँ प्रयत्नशील छथि।
#मैथिली नाटक मंचन # कल्याण #मैथिली समाचार
0 Comments