Random Posts

header ads

विद्यापति नाट्य मंचक तत्वावधान में रामनगर परजुआरी गांव में कायल जा रहल अछि,चाइरदिवसिय नाट्य महोत्सवक आयोजन।




मधूबनी:[अभी आनंद]  मधूबनी जिलाक रामनगर परजुआरी में विद्यापति नाट्य मंचक तत्वावधान में आयोजित चाइरदिवासिय ग्रामीण नाट्य महोत्सवक पहिल दिनक उद्घाटन मैथिली केँ प्रखर नाटककार "महेंद्र मलंगिया" आओर संपादक "रामलोचन ठाकुरक" द्वारा कायल गेल। आर संगैह ओहि मंच पर "मनीष झा बौआभाइ" सेहो उपस्थिति छलैथ। स्वागत भाषण करैत ओहि गावंक ग्रामीण  "घनश्याम ठाकुर" कहलैथ , आजुक समय में मिथिला केँ गाँव सभसँ मिथिलाक संस्कृति लुप्त भs रहल अछि, ओहिके बचेबाक लेल अहो गाँवक किछु युवा सभहक द्वारा एही तरहक आयोजन केनाई ऐगो सराहनीय कदम कदम अछि। मिथिलाक सांस्कृतिक केँ बरकार राखबाक लेल ई नाटक केँ भार रामनगर केर युवा सभ अप्पन कन्हा पर लेलक ई आओर ई ऐगो बहुत पैघ कदम अछि।एतबे नञि समस्त मैथिल युवा केँ लेल प्रेणना दायक कदम अछि।एही सs युवा सभ में नव जोश भेटत आर मिथिला सs विलुप्त भ रहल नाटक केँ पुनर्जन्म होयत।एहीक उद्घाटन सत्र केर संचालन करैत डॉ कमल मोहन चुन्नू कहलैथ की नाटक आदमी केँ सर्वोत्तम उपलब्धि अछि। शहर में तs बहुत मैथिली नाटक केँ आयोजन होयत अछि,मुदा गाँव में एही सबके बहुत अभाव अछि। अपने केँ जानकारी होयत की एही महोत्सबक पहिले दिन दुटा एकल नाटक के उद्घाटन भेल अछि। पहिल एकल नाट्य प्रस्तुति में सुश्री प्रभाती कमलिनी ऋषि वशिष्ठ लिखित आर निर्देशित नाटक "सुबहा" केँ उद्घाटन केलैथ आर दोसर एकल नाट्य में मैथिली केँ मशहूर रंगकर्मी "किसलय कृष्ण" राजकमल केर कविता "मुक्ति प्रसंग" केर नाट्य प्रस्तुति देलैथ।ओहि गांवक स्थानीय भूतपूर्व मुखिया कृष्णकांत ठाकुर आर सभ कार्यकर्ता  सभ अतिथी सभकेँ दोपटा, पाग द क सम्मान केलक। अपने सभके जानकारी द दी जेँ की एही पूरा महोत्सब में टोटल 6टा नाटक केर उद्घाटन होयत।
#चाइरदिवसीय नाट्य महोत्सव #मधुबनी #मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments