Random Posts

header ads

रोड एक्सीडेंट में एम .एस. यू केर सेनानी केँ भेल मृत्यु,विरोध में कैल गेल हाइवे जाम।



मधूबनी:[प्रणव चौधरी]मिथिला स्टुंडेंट युनियनक एकटा सेनानी जिनक मृत्यु केँ खबैर सँ समस्त मिथिलावासी आओर एम.एस.यु दुखक शोक में डुइब गेल अछि।ओहि मृतक केँ नाम "आकाश राय उर्फ सत्यम कुमार छल।ई घटना 7दिसंबर केँ राइत केँ अछि। मधूबनी नगर थानाक्षेत्र केँ बसुआरा गांवक आकाश केँ 7दिसंबर केँ साँझ में कलुआही गौरी दास टोल लंग पुलक नजदीक एकटा पिकउप वैन केँ ठोकर मारला सँ हुनक मौत घटनास्थल पर भेल ।एही मौतक विरोध में शनिवार केँ एम.एस.यु केँ सेनानी सभ जयनगर-रहिका हाइवे केँ जाम कs देलैथ। जाही सs हाइवे पर गांड़ी सभहक जमावड़ा लाइग गेल छल।युनियनक सद्स्य उक्त गाड़ी केँ चालक पर आकाश केँ हत्या करबाक आरोप लगा रहल छल।युनियनक मांग छल जेँ मृतक केँ परिवार केँ एकटा सरकारी नोकरी आओर उचित मुवाजा देल जाए।ओर उक्त ड्राइवर केँ तुरंत गिरफ्तार केँ एही मामलाक जांच करबाक लेल उच्चस्तरीय टिमक गठन क़ायल जाए। हालांकि युनियनक मांगक अनुरूप उक्त गाड़ी केँ ड्राइवर "राजा सदाय" केँ तुरंत गिरफ्तार कायल गेल।ओहिकेँ बाद एस.डी.ओ सदर सुनील कुमार सिंह, डी.एस.पी कामीनी बाला, बेनीपट्टी पुलिस निरक्षक प्रवीण कुमार मिश्रा केँ समझेला बुझेलाक बाद,जांच टिम केँ गठन आओर उचित मुवाजा केँ अस्वाशन देलाक बाद ,एम.एस.यू केँ सेनानी सभ जाम हटेलक।एही मौका पर खजौली पुलिस निरक्षक शिव कुमार, खजौली थानाध्यक्ष राम चंद्र चौपाल,कुलाआही थानाध्यक्ष रमेश कुमार आदि पूलीस कर्मी मोजूद छलैथ।
#रोड जाम #रहिका जयनगर हाई वे #MSU #मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments