Random Posts

header ads

कन्हैया कुमार केर काफिला पर हमला ।



बेगुसराय: जवाहर लाल नेहरू विश्वविद्यालय छात्र संघक पूर्व अध्यक्ष कन्हैया कुमार मंगल दिन मंसूरचक प्रखंड सs सभा कs वापस जा रहल छल।एही दौरान भगवानपुर प्रखंडक दहिया गांव केर नजदीक कन्हैया केर काफिला में शामिल लोग व स्थानीय पूजा समिति केर सदस्यक बीच पहिले त रोड जाम केँ लकs  कहासुनी भेल।आर ओहिके बाद ई मामला धीरे-धीरे तूल पकड़नाई शुरू कs देलक आओर दुनु पक्षक बीच झड़प होबैए लागल। एहिमें स्थानीय दुर्गा पूजा समिति सs जुड़ल आदमी सभ कन्हैया केँ काफिला में शामिल गाड़ी पर हमला कs देलक संगे गाड़ी केँ क्षतिग्रस्त सेहो कs देल गेलक ।एही हमला में कन्हैया केँ कोनो तरहक नुकसान नञि पहुंचल अछि।ओतैए दोसर पक्षक किछु लोग केर घायल होबाक सूचना भेटल अछि। एही मामला केँ लकs विरोधी पक्ष भगवानपुर थाने में कन्हैया केर खिलाफ एफ.आई.आर दर्ज कराबैए में जुटल छल। ओतैए कन्हैया कुमार अप्पन समर्थक केँ संग घटनास्थल सs लगभग12 किलोमीटर दूर बरौनी थाना में हुनक संग भेल एही घटना केँ लकs थानाध्यक्ष सs एफ.आई.आर दर्ज करेबाक प्रयास में जुटल छल ।
#हमला #कन्हैया # बेगूसराय # मैथिली समाचार 

Post a Comment

0 Comments