Random Posts

header ads

महाराष्ट्रक उपनगर बोईसर में धुमधाम सँ मनाओल जा रहल अछि दुर्गापूजा।



मुम्बई : एखन दुर्गापूजाक आयोजनमें पुरा देश सँ गाँव तक आस्था केर भारी जुटान देखल जा रहल अछि। मिथिला सहित देशक अन्य अन्य भाग में सेहो लोकसभ खूब धूमधाम सँ माँ दुर्गाक पुजा में लीन अछि। एही क्रममे महाराष्ट्रक उपनगर बोइसर में नवयुवक माँ सरस्वती मित्र मंडल धनानी नगर बोईसरक तत्तवाधान में सेहो खुब धूमधाम सँ दुर्गापूजा मनाओल जा रहल अछि।एही पुजा में काइल साँझ में भक्ति संध्याक प्रोग्राम  बड़ धूमधाम सँ मनाओल गेल।एही कार्यक्रमक सुरुआत नव अभ्युदया फॉउंडेशन केर सचिव संजय ठाकुर , बी0के0 झा , मधुकान्त झा , सुभाष रॉय , धीरेन्द्र झाजी केर द्वारा "दीप प्रज्वलित" केँ कायल गेल ।जाहिमें  वी जे एंटरटेनमेंट के प्रस्तुति द्वारा मैथिली सुपरस्टार गायक विकाश झा वी जे ,  उभरैत गायक भाई श्यामानंद जी , गायिका पूजा जी  अप्पन  भक्तिमय गीत सs  समस्त भक्तक दिल जीत लेलैथ। मंच संचालन आबै वाला चर्चित मैथिली फ़िल्म प्रेमक बसात के को-प्रोड्यूसर कुणाल ठाकुर जी द्वारा क़ायल गेल । 

मंच सँ विकाश झा जी आओर कुणाल ठाकुर जी आबै वला दुनु मैथिली फ़िल्म लव यू दुल्हिन आर प्रेमक बसात के देखै लेल दर्शक सब सँ अनुरोध केलखिन आ दर्शक सब सेहो खूब जोश फिल्मक सफलता लेल आशीर्वाद आर शुभकामना देलखिन । कार्यक्रम में उपस्थित खासदार राजेन्द्र गावित,आमदार श्री विलास तरे, ज़ाकिर राठी, अशोक वड़े, संजय पाटिल,रंजना ताई, सभ सदस्यक हौसला बढ़ोलैथ। आयोजक मंडल सभ उपस्थित मेहमान केँ दोपटा माला द क सम्मानित सेहो केलक।एही दुर्गा पूजाक समिति सदस्य अनिल मिश्रा , दीपक झा , विवेक झा  , गुड्डू झा , नरेश झा पंडित , राजदेव ठाकुर , शशिकांत झा , सुधीर चौधरी , अनीस चौधरी रहैथ आओर  उपस्थित भेल समस्त भक्त केँ  अभिनंदन केलैथ ।
#सांस्कृतिक कार्यक्रम #बोइसर #मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments