पटना: बिहार राज्यक 96 हजार नियोजित शिक्षक केर सर्टिफिकेटक फोल्डर गायब अछि। निगरानी जांचक प्रगति केर समीक्षा में ई मामला तखन उजागर भेल जखन शिक्षा विभाग जिला सs एही मामलाक लकs रिपोर्ट मंगलक । सभ जिलाक जिला कार्यक्रम पदाधिकारी (स्थापना) केर मौजूदगी में 12 अक्टूबर केँ जखन जिला सs भेटल रिपोर्ट पर आलाधिकारी निगरानी केर संबंधित अफसर केँ मौजूदगी में चर्चा शुरू कायल गेल तs 96 हजार फोल्डरक गायब होबाक जानकारी उजागर भेल आई । शिक्षा विभाग एहि मामला केँ बहुत गंभीरता सs लेलक ।एही बैठक में प्रधान सचिव आर.के. महाजन सभ डी.पी.ओ केँ एही मुद्दा केँ लकs बुरा-भला कहलैथ। विभाग शिक्षक केर फोल्डर अखन तक जमा नञि होबैए केँ लकs संबंधित अधिकारी आओर शिक्षक नियोजन ईकाइ पर सख्त कार्रवाई करत। एही मामला में पहिले सेहो निगरानी जांच में सहयोग नञि करैए बला नियोजन ईकाइय पर एफ.आई.आर दर्ज करेबाक निर्देश देल जा चुकल अछि। फर्जी डिग्री पर नियुक्ति केर थोक में मामले उजागर होबाक बाद पटना हाईकोर्ट केर निर्देश पर एही मामलाक जांच केर जिम्मा वर्ष 2014 में निगरानी केँ सौंपा गेल छल।निगरानी टिम अखन तक करीब साढ़े तीन लाख नियोजित शिक्षक केँ वैद्यता केँ जांच केलक। जाहिमें 748 फर्जी शिक्षक केँ पकड़ल गेल अछि। फर्जी शिक्षक सभकेँ बर्खास्त कs सभ पर प्राथमिकी दर्ज कैल जैत आओर राशि सेहो वसूलल जाओत। मुदा निगरानी केर आंकड़ा मानी तs मात्र 36 लोग पर प्राथमिकी दर्ज कायल गेल अछि। समीक्षा केर क्रम में एटा आर बड पैघ मामला उजागर भेल अछि। शिक्षा विभाग फर्जी डिग्री पर बहाल शिक्षक केँ क्षमादान मांगबाक अवसर देने छल। एहिके लेल भाड़ी संख्या में शिक्षक स्वत: आगा सेहो ऐलैथ, मुद्दा कतेको केँ अखन तक कार्यरत होबाक खुलासा भेल हन। एहेन तीन टा शिक्षक सहरसा में कार्यरत अछि। पूरा मामलाक अगला समीक्षा बैठक 10 नवम्बर केँ बजाओल गेल अछि।
#फर्जी # नियोजन शिक्षक बहाली #पटना #मैथिली समाचार
0 Comments