Random Posts

header ads

कोसी नदी पर एनएच 527A केँ जोड़बाक लेल बनत , देशक सबसँ लंबा पुल।



सहरसा: भारत माला प्रोजेक्टक तहत मधुबनी जिलाक उच्चैठ भगवती स्थान (उमगांव) स परसरमा होइत तारास्थान महिषी (सहरसा) तक दुटा धार्मिक स्थल केँ जोड़त एनएच 527 । एहिके संगैह एनएच 527A केँ जोड़ैए केर लेल कोसी नदी पर देशक सब सs लंम्बा पुलक रास्ता साफ भs गेल अछि।  
एहिके लेल जमीन अधिग्रहणक प्रक्रिया शुरू भ गेल अछि। भूअर्जन विभाग एहिके लेल 3ए केर प्रस्ताव भेज देलैथ । एही रोडक लेल जिला में 133 एकड़, 54 डिसमिल , 55 वर्ग कड़ी (54.065 हेक्टेयर) जमीनक अधिग्रहण कायल जैत। ई जमीन 10 मौजा सs लेल जेत। मधुबनी जिलाक उच्चैठ भगवती स्थान (उमगांव) सs बासोपट्टी, बेनीपट्टी, रहिका, मधुबनी, रामपट्टी, अवाम, लउफा, भेजा, परसरमा परसौनी एनएच 327 ए होइत महिषी, बनगांव, बरियाही तक जायत। सड़क परिवहन आओर राजमार्ग मंत्रालय एहिकेँ अधिसूचना सेहो जारी कs देलक अछि।
#सबसँ लम्बा #पुल #उच्चैठ- महिषी # मिथिला # मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments