Random Posts

header ads

मिथिलाक विरासत सs अवगत होइत आम लोग।



दरभंगा: दरभंगा जिला में दू दिवसीय मिथिला लोक उत्सव में मिथिलाक समृद्ध लोक संस्कृति आओर परंपरा तथा विरासतक झलक देखबाक लेल भेटत। नेहरू स्टेडियम में ई उत्सव एक आर दु दिसंबर कs आयोजित होयत। समाहरणालय में एही उत्सवक तैयारी सs संबंधित बैठक में जिलाधिकारी डॉ. चंद्रशेखर सिंह संबंधित अधिकारी व एही उत्सव सs जुड़ल संगठनक प्रतिनिधी सs कहल गेल अछि कि ओ अखने सs एही उत्सवक आयोजनक रूपरेखा तैयार करैए में लागल रहू । एही बैसार में उप-विकास आयुक्त डॉ. कारी प्रसाद महतो , नगर आयुक्त नागेंद्र सिंह, अनुमंडल पदाधिकारी राकेश गुप्ता सहित एही लोक उत्सवक आयोजन सs जुड़र संगठनक प्रतिनिधि व सभ विभागक अधिकारी उपस्थित छल।डीएम कहलैथ कि एही महोत्सव केँ एही तरीका सs आयोजित कैल जाए जेहिमें राष्ट्रीय स्तर केर कलाकारक संग संग स्थानीय आओर लोक कला सs जुड़ल कलाकार केँ सेहो पूरा मौका भेटत। एही उत्सव में मिथिलाक सांस्कृतिक विश्व विरासत सs सेहो लोग सभ अवगत होए,एही पर पूरा ध्यान देल जाइत। जिलाधिकारी कहलैथ कि महोत्सवक राज्यस्तर पर व्यापक प्रचार-प्रसार सेहो कैल जैत।
#मिथिला लोक महोत्सव #दरभंगा #मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments