Random Posts

header ads

डबल डेकर बस आगरा-लखनऊ एक्सप्रेस-वे पर पलटल।



दिल्ली: दिल्ली सs बिहार जा रहर डबल डेकर बस आगरा-लखनऊ एक्सप्रेस-वे पर रवि दिनक भोर में पलैट गेल। ई  हादसा थाना तालग्राम केर अमोलर केँ नजदीक भेल अछि। पुलिस मौका पर पहुंचक घायल सभ केँ इलाजक लेल मेडिकल कॉलेज भेज देलैथ । एही घटनाक जानकारी भेठला पर डीएम सेहो मेडिकल कॉलेज पहुंचल छल।
रवि दिनक भोर में की एक्सप्रेस-वे पर अमोलर केर नजदीक डबल डेकर टूरिस्ट बसक ड्राइवर केँ अचानक नींद आइब गेल। जेहि सs बस अनियंत्रित भs कs पलैट गेल। बस पलटला सs ओहिमें सवार 20 सs 30 गो यात्री केँ घायल होबाक खबैर भेटल अछि। बस केर अंदर कुल 70 सs 80 आदमी सवार छल। सूचना भेटला पर पुलिस मौका पर पहुंचल। पुलिस घायल सभकेँ बस केँ बाहर निकाइल कs इलाजक लेल मेडिकल कॉलेज तिर्वा भेजलैक । एही हादसा में छह गो यात्री केर हालत गंभीर बताओल जा रहल अछि। थाना तालग्रामक प्रभारी निरीक्षक राजा दिनेश सिंह बतेलैथ की घायल सभ हक इलाज केर लेल भेज देल गेल अछि।
#बस एक्सीडेंट # लखनऊ एक्सप्रेस वे # मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments