Random Posts

header ads

ट्रेनक चपेट में ऐला सs पांच गोटाक भेल मौत।



भभुआ: बिहारक मोहनिया शहरक  भभुआ रोड स्टेशन पर लालकिला एक्सप्रेस ट्रेन सs कैटक पांच गोटाक मृत्यु भs गेल। मृतक में तीन गो महिला, एगो बच्चा व एगो पुरुष शामिल अछि। मृतक केर पहचान अखन नञि भs सकल अछि।भेटल सूचनाक अनुसार, इंटरसिटी एक्सप्रेस में चरहबाक लेल शुक्र दिनक साँझ में प्लेटफॉर्म नंबर तीन केर बजाय उक्त लोग सभ पटरी पर खड़ा छलैथ।एही दौरान पूरब तरफ सs लालकिला एक्सप्रेस आइब गेल, जाहिके चपेट में उक्त लोग सभ आइब गेलैथ।
#मौत # ट्रेनक चपेट सs #भभुआ # मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments