Random Posts

header ads

गुजरात केँ धरती पर सेहो हर्षोल्लास सँ मनायल जाइत अछि छठ पूजा ।



सूरत:[अनील मिश्रा] बिहार सँ दूर गुजरात राज्यक सुरत जिला में हरेक बरख "बिहार विकास परिषद" द्वारा छठ महोत्सव बहुत  हर्षोल्लास स मनायल जाइत अछि । हरेक बरखक भातिं एहु बरख छठ महोत्सव केँ आयोजन कायल गेल अछि।समस्त सुरत में रहनिहार मैथिल केँ हकार देल जा रहल अछि,जे एही अस्थाक महान पाबैन "छठ महोत्सव" देखबाक लेल आबी।ऐतबे नञि अही महोत्सव में लगभग 2 किलोमीटर तक पबैन करैए बाली केँ कतार लागल रहैत अछि।आओर पाबैन करैए बाली लेल ई संस्था बहुत रास सुविधा केँ उपलब्ध कराबैए छैथ।एही संस्थाक संयोजक "मनोज कुमार सिंह"  समस्त सुरत में रहिनाहर मैथिल केँ सभजाना हकार देलैथ छैथ,जे एही महोत्सव में अपने सभ आबी,आओर आनंद ली।
नहाई खाई = 11-11-2018
खरना =12-11-2018
साँझका अर्घ =13-11-2018
भोरका अर्घ =14-11-2018
#छठ पूजा #गुजरात #सूरत #मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments