Random Posts

header ads

पुर्व उप मुख्यमंत्री तेजस्वी केँ बंगला खाली करेबाक लेल गेल अधिकारी सभ केँ होबै परल खाली हाथ वापस।




पटना: बिहारक पूर्व उप मुख्यमंत्री  तेजस्वी यादवक पटना में स्थित बंगला खाली करेबाक लेल जेल प्रशासनिक अधिकारी आर भारी पुलिस बलक संग आइ भोर में पहुंचल छलैथ।पटनाक 5 देशरत्न रोड पर स्थित बंगला केँ खाली करेबाक लेल उक्त  टीम जखन ओही जगह पहुंचल तs  बंगलाक गेट पर एकटा पोस्टर चिपकैल भेटल । पोस्टर केँ देख कs टीम आगु केँ कार्रवाई करबाक लेल अपन वरिष्ठ अधिकारी केँ निर्देशक इंतजार कs रहल छल।एही टीम में भवन निर्माण विभागक अधिकारी मौजूद छलैथ। तेजस्वी यादव केर बंगला पर जेँ पोस्टर चिपकैल गेल अछि,ओहि पर लिखल छल जेँ बंगला केँ खाली कराबैए बला केँ खिलाफ पटना उच्च न्यायालय में अपील दाखिल क़ायल गेल अछि आर अपील केर अंतिम निष्पादन तक बंगला केर विरुद्ध दंडात्मक कार्रवाई नञि कायल जाए। एही बीच बंगलाक बाहर एकत्रित भs राजद कार्यकर्ता धरना पर बैस गेल छलैथ। तेजस्वी यादव एही समय दिल्ली में अछि। वरीष्ठ अधिकारी केँ बयान ऐला पर खाली करेबाक लेल पहुंचल प्रशासनिक अधिकारी आर पुलिसवला वापस आइब गेलैथ । बंगला खाली करेबाक लेल पहुंचल टीम फिलहाल हाईकोर्ट में दाखिल अपीलक कापी लs कs वापस भs गल अछि।अखन फिलहाल एही बंगलाक बाहर राजद विधायक आओर कार्यकर्ता सभहक जमावड़ा बनल अछि।
#आवास खाली #पूर्व उप मुख्यमंत्री  #बिहार मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments