Random Posts

header ads

सीवान में महिलाक संग डूबल 3 गोट बच्चाक



सीवान: सीवान जिलाक दरौली थाना क्षेत्रक नारायणपुर टोका गांव में मंगल दिनक शाझ में सुलेएस गेट में नहेबाक दौरान महिला सहित तीन बच्चा डूइब गेल।उक्त महिला टोका टोलाक निवासी विनोद चौहानक पत्नी बबुंती देवी अछि। महिलाक संग हुनक तीन गो बच्चा जेहिमे उक्त महिलाक बेटा जिनक उम्र 5 बरखक छल आओर दुगो जुड़वा बहिन अमृता व सोनम अपन माँ केँ संग जितिया व्रतक लेल नहर में नहेबाक लेल गेल छल। महिला जेनिहिते नहर केर पास उतरल हुनक पैर फिसैल गेल। जेहिसँ ओ नहैर में गिर गेल।
माँ केँ पैन में गिरैत देख कँ बच्चा सेहो पैन में कूइद गेल। आसपासक लोग सब उक्त महिला केँ डूबैत देख बचेबाक प्रयास केलैथ। महिला केँ ग्रामीण आओर मलाह केँ सहयोग सs बीतल राइत केँ ही नहैर सs निकाइल लेल गेल छल।जखनकि बच्चा सब केँ बहुत खोजल गेल मुद्दा  हुनक लहास नञि भेट सकल।ऐहिके बाद बुध दिन केँ भोरे स्थानीय लोग आओर पुलिस मौका पर पहुंच कs मृतक केँ खोजनाई शुरू केलक। लगभग 3 घंटा  बहुत मेहनत करबाक बाद डूबल तीनू बच्चाक लहास सुलेएस गेटक अंदर सs बरामद कैल गेल। सीओ नन्दलाल गुप्ता आओर थानाध्यक्ष जयनारायण राम घटनास्थल पर पहुंच कs लहास केँ पोस्टमार्टमक लेल सीवान सदर अस्पताल भेज देल अछि। इम्हर ग्रमीण सब में ई चर्च अछि , उक्त महिला पारिवारिक कलह सs तंग आइबक एही तरहक घटना केँ अंजाम देलैथ ।
#मृत्यु #नदी में डूबला सs  #सिवान #मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments