सासाराम:सासाराम में एगो महिला व चाइर गो बच्चा पर तेज हथियार सs हमला कैल गेल अछि।सासारामक मिर्जापुर गांव में एगो युवक धारदार हथियार सs एगो महिला आओर हुनक चाइर टा बच्चा केँ काइट देलक, जाहिमें उक्त महिला आओर हुनक दुटा बच्चा केर मृत्यु ओतैए घटना स्थल पर भ गेल। बाकी दुगो बच्चा गंभीर रुप स s घायल अछि, जिनका अस्पताल में भर्ती कराओल गेल अछि।
बताओल जा रहल अछि कि मृतका महिला "दरोगा यादवक" पत्नी अछि। हुनके मृतक बच्ची जिनक उम्र तीन बरख आओर बेटा रवि यादव अछि। उक्त हादसाक जानकारी भेटते देरी पुलिस घटना स्थल पर पहुँच , घायल बच्चा सबके सासारामक सदर अस्पताल में भर्ती करबेलैथ , जत हुनक सबहक हालात बहुत गंभीर बनल अछि।अखन फिलहाल हादसाक बाद सs हमलावर फरार भ गेल अछि। आओर पुलिस हमलावर केर गिरफ्तारी करबाक लेल छापामारी कs रहल अछि।
#हमला #महिला आओर नैना पर # सासाराम # मैथिली समाचार
0 Comments