साबरकांठा: गुजरात राज्यक साबरकांठा जिला में पिछला हफ्ता 14 मासक बच्ची सs कथित तौर पर बलात्कार करबाक आरोप में बिहारक एक गोटे केँ गिरफ्तार केलाक बाद राज्यक कतेको हिस्सा में गैर गुजराती, आमतौर पर उत्तर प्रदेश आओर बिहारक रहैए वला लोग केँ निशाना बनाओल गेल आछि।। पुलिस महानिदेशक शिवानंद झा कहलैथ कि एही तरभक हमला पिछला एक हफ्ता में गांधीनगर, मेहसाना, साबरकांठा, पाटन आओर अहमदाबाद जिला में भेल अछि , एही घटनाक संबंध में 170 आदमी केँ.गिरफ्तार कैल गेल आछि।
ओ कहलैथ कि सोशल मीडिया पर गैर गुजराती, खासकर बिहार आओर उत्तर प्रदेशक आदमी सबहक खिलाफ नफरत भरल संदेश वायरल केलाक बाद ई हमला भेल। पुलिस बतेलक जे कि 28 सितंबर केँ साबरकांठा जिलाक हिम्मतनगर कस्बा केर नजदीक एगो गांव में 14 मासक बच्ची सs कथित तौर पर बलात्कार भेल छल। ओ कहलैथ कि बिहारक रहैए वाला रविंद्र साहू नाम केर मजदूर केँ ओहि घटना बला दिन ही गिरफ्तार कs लेल गेल छल।एही हमलाक बाद सs गुजरातक बहुत रास जिला में अखन तक 18 टा प्राथमिकी दर्ज कैल गेल अछि। ओ कहलैथ, जे हम सब 170 आदमी केँ गिरफ्तार केनौ ।हम सब एही तरहक गतिविधी केँ कोनो भी कीमत में अनुमति नञि होबैए दैब।अखन पुलिस कारखाना आओर (हाउसिंग) सोसाइटियों में निगरानी बढ़ा देलक । ओ कहलैथ जे हम सोशल मीडियाक संदेश पर सेहो सख्त नजर रखने छी। ई पता लगला पर कि बलात्कारक आरोपी बिहारक रहैए वाला अछि, एही घटना केर बाद क्षत्रिय ठाकूर सेना कहलैथ कि आओर सब राज्याक प्रवासी कामगार केँ गुजरात में नौकरी नञि देल जाइके चाही।
पुलिस बतेलैथ ई कि सोशल मीडिया पर कोनो आदमी ई संदेश फैला देलैथ कि एगो फैक्ट्री में बेसी संख्या में गैर गुजराती आदमी सब केँ नौकरी दैल गेल अछि।एहिके बाद शुक्र दिनक भोरे अरवल्ली जिलाक काबोला गांव में एगो फैक्ट्री केर बाहर 200 आदमी केर भीड़ जमा भs गेल छल। मुदा, अरवल्ली जिलाक पुलिस अधीक्षक मयूर पाटिल कहलैथ कि पुलिस भीड़ केँ तितर-बितर कँ देलैथ आओर एहिमें से 13 आदमी केँ गिरफ्तार कैल गेल अछि,आओर बिहारी सब पर पर दंगा भड़केबाक आओर दुगो समूहक बीच शत्रुता केँ बढ़ावा दैए केर आरोप लगाओल गेल अछि।
एही बीच कांग्रेसक विधायक अल्पेश ठाकूर दावा केलैथ आई कि हम कखनो भी क्षत्रिय ठाकूर सेना केँ गैर गुजराती पर हमला या हिंसा में शामिल होबाक लेल नञि कहलु । अहमदाबाद अपराध शाखा केर साइबर अपराध प्रकोष्ठ सोशल मीडिया पर गैर-गुजराती आदमी केर खिलाफ नफरत बला संदेश फैलाबैए में संदिग्ध रूप सs शामिल भेल आदमी केँ गिरफ्तार केनाई शुरू कs देलैथ । अतिरिक्त पुलिस उपायुक्त जे के भट्ट कहलैथ कि दु आदमी केँ गिरफ्तार कैल जा चुकल अछि आओर कतेको आदमी केँ जल्दिये गिरफ्तार कैल जैत।एही बीच, बिहारक उप मुख्यमंत्री सुशील मोदी पटना में कहलैथ कि गुजरातक साबरकांठा जिला में बच्ची केँ साथ बलात्कार भेलाक बाद गुजरातक साबरकांठा में बिहारक आदमी सबपर हमला केँ लेल कांग्रेस समर्थित संगठन जिम्मेदार अछि। भाजपाक वरिष्ठ नेता सुशील मोदी आइ गुजरातक मुख्यमंत्री विजय रूपाणी सs फोन पर बातचीत करबाक बाद कांग्रेस पर यी आरोप लगेलैथ । सुशील मोदी पटना में मिडिया सs बात करैत कहलैथ कि हमरा गुजरातक मुख्यमंत्री सs जानकारी भेटल हन कि कांग्रेसक नेता अल्पेश ठाकूर सs संबद्ध राखैए बला संगठन ठाकूर सेना केँ 12 आदमी केँ गिरफ्तार कैल गेल अछि। ओ कहलैथ कि गुजरात में बिहारक आदमी सुरक्षित अछि।
#बलात्कार #नैना संग # गुजरात #साबरकांठा #मैथिली समाचार
0 Comments